Wednesday, February 17, 2010

सौरशक्ति सs मिथिला क औद्योगिक विकास

                                  मिथिलांचलक चकौती   में सौरशक्ति स विकास क आस      
Solar Panels and Windows






Solar Panels

आर्थिक एवं औद्योगिक रूपसँ अत्यंत पिछड़ल, किंतु बौद्धिक रुपसँ पर्याप्त उन्नत मिथिला क्षेत्रेमे एहेन असंख्य समस्या सभ अछि, जे संपूर्ण देशेमे नहि अछि;ओ सब मात्र एहि ठामक क्षेत्रीय समस्या थिक। सामाजिक मान्यता, रूढ़ि, आ पारंपरिक आचारक कैकटा बद्धमूल विडंबना मिथिलांचलक जन-जीवनमे व्याप्त आछि। कृषि-कर्म पूर्णतया प्रकृति पर निर्भर अछि, औद्योगिक विकास शून्य अछि, वाणिज्यक बाट बंद अछि, तकनीकी शिक्षाक संभावना क्षीण अछि, रोजगारक मार्ग अवरुद्ध अछि, धार्मिक आ सांप्रदायिक पाखंड पराकाष्ठा पर, दहेज आ निर्धनता प्रचुर मात्रामे; यौन विकृति, यौन शोषण, श्रमक अवमूल्यन, छुआछूत, जाति-विभेद, कौलिक विभेद, मानवीय संबंधक अवमूल्यन, निठल्लापन, चुगलखोरी, परनिंदा, दियादी डाह, अंधविश्वास...अइ समस्त परिस्थितिसँ संघर्ष करैत मैथिलजन अपन जीवन-यापन करैत अछि आ अपन भूमिसँ पलायन क’ कए जीवन रक्षाक आधार जुटबैत अछि

पछिला साल चकौती में कतहु-कतहु सौरऊर्जा स संचालित बत्ती सब लागल.किछु लोकनी अपना घरो में सोलर लाल्टेम लागौलथि.सोलर पंखा आ सोलर वाटर पम्प  सेहो आबे बला  छई अई साल.   

सौरशक्ति स मिथिलांचलक जन-जीवनमे नब स्फूर्ति आओत.   बच्चा सभ सांझ खन इजोत में बेसी काल पढ़त. खेत पटत, सौरशक्ति स कृषि उद्योग बढ़त,   लघु उद्योग बढ़त, घर में टीवी चलत कंप्यूटर चलत.


SoloMax


Chakauti in wikimapia                                                                                        

No comments:

Post a Comment